बियाह राईतक किस्सा

Описание к видео बियाह राईतक किस्सा

Episode 4 : अलबत्ते कक्का काकी के खटपट के कोनो सीमा नै। बियाह राईतक किस्सा केना शुरू भेलै आ ओकर बाद की भेलै से देखू।
----------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------
वुजुर्ग मैथिल दंपतिक जीवन के, वर्तमान युगक् धारा मे बहैत, हुनक मनोवैज्ञानिक अवस्था के चित्रण करत "इ वूंहो काका काकी अलबत्ते" के लघु फ़िल्मक शृंखला ।
ऐ श्रृंखला के केंद्रीय पात्र डाक विभाग के सरकारी नौकरी बाराबाबू पद स अवकाश प्राप्त भोला झा आ बी ए पास गृहिणी शैल पुत्री देवी छैथ । हिनका एक पुत्री MBBS डॉक्टर छथिन्ह जे डॉक्टर लड़का स विवाह क दुनु चेन्नई मे त पुत्र बेंगलोर मे MBA क कोनो नीक MNC के नोकरी छैन आ ओही कंपनी मे कार्यरत इंजीनियर लड़की संग विवाहोपरांत सेट्ल छथि। दुनु संतान के कैरियर के प्रारंभिक अवस्था छैन तें एखन भोला बाबू आ शैल देवी दिल्ली के जमुना पार मे पच्चास गज के सामान्य पुरान मकान मे साधारण पेंसन पर रहै छथि। माता पिता के मरणोपरांत भैयारी स भेटल अंश के रूप मे बचल खुचल चास, कलम गाछी बांस आ घरारी के संरक्षण के जिम्मेबारी छैन। तें गाम आवागमन बढ़ि गेल छैन।
केंद्र बिंदु मे ई दुनु पात्र जरूर छइथ परंच हिनक सरोकार मानव जीवन के विभिन्न चरित्र स रहने बहुत रास मनोभावना के मनोरंजक स्वरूप मे पटल पर आनक प्रयास करब।
हम समय समय पर अलग अलग मुद्दा पर विभिन्न लघु फिल्म देवाक निश्चय केने छी।
यदि अहाँ सब पसंद करवे त निश्चय आर बेसी नीक करवाक उत्साह बनत। आ लगातार प्रस्तुति दैत रहब मे बल प्रदान करत।
ई मात्र प्रारंभ छी। भविष्य मे विविधि चरित्र आ विभिन्न विषय पर कार्यक्रम लायब। मैथिल समाज के अनेक प्रकारक जीवन पर आधारित लघु फिल्म, टेलीफिल्म, प्रतिभा प्रोत्साहन हेतु सांस्कृतिक,साहित्यिक,सामाजिक, इत्यादि क्षेत्र मे कार्य करवाक इक्षा अछि। हमर ई योजना के कार्य रूप मे परिणत भेनाय ओइ बात पर निर्भर करै छै जे अपने सब अपन स्नेह subscribe आ share के संग अमूल्य विचार coments मे कते द रहल छिऐ 🙏
----------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------

Комментарии

Информация по комментариям в разработке